Wednesday, October 19, 2011

मैथिली फिल्म "एकटा अन्हरिया" (समाचार सौजन्य जितेन्द्र सहयोगी)

-धड़कन मीडिया हाउस , मिरचैय्या, सिरहा नेपालक प्रस्तुति
-दोसर मैथिली फिल्म "एकटा अन्हरिया"पर काज शुरू
-धड़कन मीडिया हाउस , मिरचैय्या, सिरहा नेपालक पहिल प्रस्तुति छल मैथिली फिल्म "माइ के ममता"
-माई के ममताके लेखक आ निर्देशक जितेन्द्र सहयोगीके लेखन आ निर्देशनमे इहो फिल्म बन जा रहल अछि ।

"प्रित के बाजी" मैथिली फिल्म (सूचना साभार दिनेश्वर गुप्ता )

-"प्रित के बाजी" मैथिली फिल्म
-जी.प्र.गुप्ताक फ़िल्म
-निर्देशक सूर्य साह
-सम्पादक जितु सिंह
- छायांकन कुंदन कुमार पप्पू
-निर्माता जिवछ प्रसाद गुप्ता
-सहनिर्माता राजकुमार गुप्ता
-कथा वस्तु गीत श्याम पासवान
-संगीत शैलेन्द्र वि.क.
-गायक गायिका जिवछ, राजकुमार , सुनिता, प्रभा
-नृत्य राम ठाकुर , अजय ठाकुर
-द्वन्द कैलाश मंडल

Saturday, October 15, 2011

"सजना के अंगना मे सोलह सिंगार"- रिलीजक बादक आरम्भिक रिपोर्ट आह्लादकारी (भास्कर झाक रिपोर्ट)

चित्र सौजन्य भाष्कर झा

चित्र सौजन्य भाष्कर झा
चित्र सौजन्य भाष्कर झा



विश्वस्त सूत्र स प्राप्त सूचना के अनुसार मैथिलीक बहुचर्चित फिल्म सजना के अंगना में सोलह सिंगार, जे १४ अक्तूबर २०११ के रिलीज भेल ,के अपार सफलता भेट रहल अछि जे . अहि समय में इ फिल्म दरभंगा के छबी गृह क्रेज डोल्बी, सुपौल तथा बेनीपट्टी स्थित छबि गृह में बड धूमधाम स चलि रहल अछि . मधुबनिक छबि गृह सब में से हो जल्दिये देखावक प्रयास भय रहल अछि . फिल्म निर्देशक , कलाकार , संगीतकार श्री मुरलीधर जी मधुबनी स मोबाईल द्वारा सूचित कयाला कि टिकट काउंटर पर दर्शकगनअक बड भीर देखल जा सकैत अछि , इ अहि बताक द्योतक अछि कि यदि मैथिलि में बढ़िया फिल्म बनावल जाय ता दर्शाकगणक कोनो कमी नहिं. सजना के अंगना में सोलह सिंगारक सफलता मैथिलि सिनेमा के मुख्य धारा स जोराबक में बहुत महत्वपूर्ण साबित होयत .मैथिली के सुन्दर गीत संगीत और डैलोग स सजल मैथिलि फिल्म निर्माता संदीप झा प्रस्तुत सजना के अंगना में सोलह सिंगार मैथिली सिनेमा के इतिहास में अपन महत्वपूर्ण सफलता स अवश्य याद कायल जायत। (भाष्कर झा)

दुलरुआ बाबू (रिपोर्ट लाल बहादुर वत्स)

-दुलरुआ बाबू (रिपोर्ट लाल बहादुर वत्स)
-दुलरुआ बाबू पहिल सिनेमास्कोप फिल्म अछि।
-ऐमे सभ कलाकार मैथिल छथि।
-एकर सभ शूटिंग मिथिला (मधुबनीक नागवास गाम)मे भेल रहै।

निर्माता आ निर्देशक अभिजीत कुमार सिंह(रिपोर्ट लाल बहादुर वत्स)

निर्माता आ निर्देशक अभिजीत कुमार सिंह(रिपोर्ट लाल बहादुर वत्स)
-निर्माता आ निर्देशक अभिजीत कुमार सिंह , जिला मधुबनी।
-सम्प्रति मुम्ब इमे रहैत छथि।
-अखन एकटा मैथिली टेली फिल्म शुरू कऽ रहल छथि आ हिन्दी फिल्म सेहो कऽ रहल छथि।

मुरलीधर निर्देशित "सजना के अंगना मे सोलह सिंगार" १४ अक्टूबर २०११ केँ दरभंगामे प्रदर्शित (चित्र साभार शशि मोहन)




Friday, October 14, 2011

मैथिली फिल्म ‘सजना के अंगना मे सोलह सिंगार’ आइ क्रेज डोल्बी दरभंगामे रिलीज भऽ रहल अछि

संदीप क्रिएशनक ऐ फिल्मक निर्माता छथि: नित्यानन्द झा
कथा/ पटकथा/ गीत/ संगीत/ निर्देशन: मुरलीधर
निर्माण परिकल्पना आ संवाद: संदीप झा
संपादन: विभूति भूषण
द्वन्द: रोशन श्रेष्ठ
नृत्य: केदार सुब्बा
कार्यकारी निर्माता:घनश्याम मिझार
छायांकन: युसुफ खान,
कलाकार: राहुल सिन्हा/ राखी त्रिपाठी